Save info   Get password
Home Submit your blog Edit Account Rules RSS-Archive Contact


अन्नकूट, पखेब,भाईदूज आओर चित्रगुप्त पूजा
2007-11-11 10:47:53
दीपावली देखल जाय त एक दिनक पावनि नहिं अछि...ई पांच दिनक पावनि अछि जे धनतेरस सं शुरू भ भाईदूज के खत्म होयत अछि...ई कातिक अन्हरिया के त्रयोदशी सं शुरू भय इजोरिया के द्वितीया तक पंच महोत्सव के रूप में मनाबय जाइत अछि...त्रयोदशी के धनतेरस, चतुर्दशी के नरक चतुर्दशी या छोटका दिवाली, अमावस्या के दिवाली, प्रतिपदा के अन्नकूट या गोवर्धन पूजा या पखेब...आओर द्वितीया के भाईदूज आओर चित्रगुप्त पूजा.धन


दीपावली आओर हुक्का-लोली
2007-11-11 10:03:23
ऑर्कुट पर एकटा संगी छथिन्ह अल्का रंजन...अपन मिथिलांचल सं छथिन्ह...दीपावली सं एक दिन पहिने हुनकर स्क्रैप आयल जे सर मटिया तेल में हुक्का-लोली भिजौने छी कि नै?? सत्य कहल जाय त हम हुक्का लोली के अहि ठाम अयला पर एकदमे सं बिसरि गेल छलहुं..अल्काजी के स्क्रैप अयला पर मन गदगद भ गेल...मन भेल जे भरि पांज भरि क चुमि लिअ...मुदा एकटा तं ऑर्कुट छोड़ि कोनो जान पहचान नहिं..दोसर लड़की.... हुनका जतेक धन्यवाद देल


इग्नू में मैथिली
2007-11-14 09:52:07
संविधान के अष्टम अनुसूची में शामिल होए के बाद मैथिली एक बेर फेर सं विकासक डगर पर चलि परल अछि... सरकारी कामकाज...रेडियो... टीवी प्रसारण... मैथिलीक सॉफ्टवेयर सं लSक पढ़ाई लिखाई तक... हर क्षेत्र में काजभ रहल अछि... आब तं इंदिरा गांधी राष्ट्रीय मुक्त विश्वविद्यालय...IGNOU सं सेहो मैथिली में पढ़ाई शुरू होबय जारहल अछि...उम्मीद अई जे अगला साल 2008 के जुलाई सं पढ़ाई शुरू भ जायत...IGNOU के दरभंगा में क्षेत्रीयके


छठक तैयारी
2007-11-13 10:04:59
मिथिलाक सभस महत्वपूर्ण पावनि अछि छठ...आओर अखन गाम-घर, शहर सभठाम छठक तैयारी जोर शोर सं चलि रहल अछि...छठ में भगवान सूर्य के पूजा होइछन्हि...छठ पावनि हर साल दिवाली के बाद कातिक महीना के छठा दिन होइछ...कहि सकय छी जे कातिक मास के इजोरिया में षष्ठी तिथि के छठ पावनि शुरू होइ छै...कहल जाइछै जे भगवान दिनकर के पूजा...आराधना मात्र सं सभ मनोकामना पूरा होइ छै...तीनों लोक में शक्ति के संचार होइ छै...पूजा के ले


बसक आसरा...
2007-11-20 23:55:45
दरभंगा-जयनगर के बीच ट्रेन सं यात्रा करय वाला लोक सभक परेशानी दूर नहिं भेल अ. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव जखन दरभंगा सं जयनगरक बीच बड़ी लाइन के उद्घाटन कएने छलाह तं लोक सभ बड़ खुश भेल छलाह. मुदा आब स्टेशन पर बैठि कय जखन घंटों इंतजार करैत रहैत छथि त रेलवे के कोसैत रहय छथि. घंटों गाड़ी के रास्ता देखैत रहुं... आ गाड़ी छै जे आबय के नाम नहिं लैत रहय छै... गंगासागर आओर घुरियान एक्सप्रेस ज्यादातर


मिथिलांचलक लोकपर्व सामा-चकेबा
2007-11-20 10:58:23
सामा-चकेबा मिथिलांचलक एकटा खास लोक पर्व अछि. ई सिर्फ मिथिलांचले टा में मनायल जाइत अछि. ई मिथिलाक लोक संस्कृति सं जुड़ल त अछिए..एकर पौराणिक मान्यता सेहो अछि. कहल जाइत अछि जे सामा भगवान श्रीकृष्ण के पुत्री श्यामा छलिह जे अपन पिताक श्राप के कारणे चिड़िया बनि गेलिह. एकर जिक्र विष्णु पुराण में सेहो मिलैत अछि. सामा चकेबा असल में भाई बहिनक प्रेमक पावनि अछि. अहि में सामा चकेवा... सतभइया... बृं


सामा-चकेबा शुरू
2007-11-20 10:23:55
छठ खत्म होयतहिं अपन मिथिलांचल में भाई बहिनक प्रेमक...स्नेहक पावनि सामा चकेबा शुरू भय जाय छै. जखन छोट छलहुं त गाम घर में दीदी...बुआ सभ के सामा चकेबा खेलैत देखय छलह...आओर हमहुं सभ ओहि में किछ न किछ करैत रहय छलहुं...बच्चा में ई सभ करय में बड़ मन लगय छै...नहिं किछ तं चुगला के जराबय के काज त होयते छल...आओर आखिरी दिन खाई लेल सेहो प्रसाद सभ मिलय छल. मिथिलांचल में ई पावनि बड़ उत्साह सं मनायल जाइत अछि...


गामक लोक
2007-11-20 09:36:16
आई गामक एकटा संगी सं भेंट भेल... ओ किछु निराश लगय छलाह...खोंचरलाह पर कहलाह जे लोक सभ हुनका देहाती...अनाड़ी...गमार कहय छथि..जबकि ओ हुनका सं कोनो मामला में कम नहिं छथिन्ह...हम हुनका कहलयन्हि जे अहां निराश किएक होय छी... अहां कहिऔ जे हां हम गाम घर सं छी...देहात सं छी मुदा...मुदा अहां जे आनन्द मस्ती ल लेने छी ओतय त ओ कहिओ नहिं लय सकय अ...सिर्फ ईहे बात अछि जे कि अहां ओकरा तरहे मैनेजमेंट के नौकरी नहिं सरकार


पद्मनाभ मिश्रजीक चिट्ठी
2007-11-28 00:29:50
नारद बजलाह... पद्मनाभ मिश्र, बंगलौर सं कलयूगक स्वर्ग’क साइवर कैफे मे उपस्थित देवता लोकनिक अपन अपन क्यूबिकल मे बैसि अपन क्म्यूटर सँ चैट करैत छलाह. चारु तरफ बुझू जे अफस्यानी व्य्स्तता. किछु देवता याहू मैसेन्जर पर बैसल छलाह ते किछु ओरकुट पर. मुदा इन्द्र भगवान अपन गूगल टाक पर एखने लागिन केने छलाह कि गूगल टाक’क जीन्न तूरँत सूचना देल्कन्हि “नारद जी ओनलाईन”. जाबय धरि मे किछु सोचतथि ताबय


विद्यापति स्मृति समारोह
2007-11-26 12:25:04
दिल्ली के मावलंकर हॉल में पचीस तारीख रवि दिन विद्यापति स्मृति समारोह मनाओल गेल. आम लोक के लेल मैथिली समारोहक मतलब गीत नाद होइछ... आओर गीत संगीतक बड़ नीक कार्यक्रम पेश कएल गेल. समारोह के उद्घाटन मुख्यमंत्री शीला दीक्षित कएलथिन्ह. आ एकर शुरुआत महाकवि कोकिल विद्यापति रचित गोसाउनी गीत...जय जय भैरवी असुर गोसाउनी सं हरिनाथ झाजी कएलाह. हरिनाथ जीक आवाज के मिठास के प्रशंसा खुद मुख्यमंत्र


दिल्ली में मैथिली अकादमी
2007-11-26 11:56:30
दिल्ली में मैथिली अकादमीक स्थापना कएल जाइत. एकर घोषणा दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित विद्यापति स्मृति समारोह में कएलथिन्ह. दिल्ली के मावलंकर हॉल में आयोजित विद्यापति स्मृति समारोह के उद्घाटन के मौका पर मुख्यमंत्री कहलथिन्ह जे दिल्ली में मैथिली आ भोजपुरी अकादमी के स्थापना के लेल जे सरकारी खानापू्र्ति छै ओकरा तीन चारि महीना के भीतर पुरा कए लेल जाएत. मैथिली विभू


झंझारपुर के जिला बनयबाक मांग
2007-11-24 11:57:25
झंझारपुर के जिला बनाबय के मांग जोर पकड़य लागल अ. एहि के लेल लोक सभ आब सड़क पर सेहो उतरय लगलाह अ. एहि शुक्र के झंझारपुर बंद सेहो राखल गेल. दोकान...स्कूल सभ बंद रहल... जिला बनाओ संघर्ष समिति बनाक एहि ठामक युवक सभ आब मैदान में उतरि पड़लाह अ. झंझारपुरक युवक सभ झंडा बैनर लेने मार्च सेहो कएलाह... युवक सभ के स्थानीय लोकक सेहो पुरा सहयोग मिलि रहल अछि. आ शांति मार्च में ओ लोकनि सेहो बढ़ि-चढि क शाम


बिस्फी में आईटीआई कॉलेज
2007-11-24 11:15:38
बिस्फी में आईटीआई कॉलेज खुलत. बिस्फी के नई जानय छ ? बिस्फी अपन मैथिली के महिकवि विद्यापतिजीक जन्मस्थान अछि. मैथिली के आई जे ई स्थान दुनिया भर में मिलल अई ओहि में सभसं बेसि योगदान विद्यापतिजी के छैन. बिस्फी मधुबनी जिला में पड़य छै... कवि कोकिल विद्यापति जी कहने छथिन्ह देसिल बयना सबजन मिट्ठा...यानी अपन भाषा...बोली सभ सं मधुर होइछ. आओर आब हुनकर गाम बिस्फी में आईटीआई खुलत ई बड़ खुशी के बात अछ


बेला पैलेस दरभंगा
2007-11-30 00:13:19
दरभंगा में सभसं सुन्दर जगह में एकटा नाम अछि बेला पैलेस. ओना एहि परिसर में जाइ के मौका एके बेर मिलल अछि कॉलेजक जमाना में... मुदा छै बड़ सुन्दर. ओना राज परिसर... नरगौना परिसर... विश्वविद्यालय भवन सभ एक पर एक छै. मुदा ई सभ महाराजधिराज के बनावल अछि. बेला पैलेस महाराजधिराज कामेश्वर सिंह के छोट भाई राजा बहादुर विश्वेश्वर सिंह बनबौने छलथिन्ह. एकरा 1934 में आयल विनाशकारी भूकम्प के बाद बनावल गेल. क


' इंडिया पोस्ट ' क लोकार्पण
2007-11-29 09:53:06
दरभंगा महाराज कामेश्वर सिंहजीक जन्मशती समारोह में राष्ट्रीय हिंदी मासिक इंडिया पोस्ट क लोकार्पण सेहो भेल. एहि पत्रिका के संपादक छथिन्ह श्री महादेव चौहान जी. वरिष्ठ पत्रकार महादेवजी सं हमर पुरान परिचय अछि. ओ बड़ नीक लोक छथिन्ह आ एहि सं पहिने सहारा समय में छलाह. इंडिया पोस्ट पत्रिका श्री अनिल मिश्र जी निकालि रहल छथिन्ह. अनिल जी छोटकी महारानी के दामाद छथिन्ह... आओर समाजसे


महराजधिराज जन्मशती समारोह
2007-11-29 09:18:21
दरभंगा महाराज कामेश्वर सिंहजीक जन्मशती समारोह दिल्ली के इंडिया इस्लामिक सेंटर में मनावल गेल. समारोह में मिथिला... मैथिली समाज... कला... शिक्षा के क्षेत्र में महाराजक योगदान पर चर्चा कएल गेल. समारोह के उद्घाटन केन्द्रीय मंत्री सुबोध कांत सहाय कयलाह. एहि अवसर पर समारोह में वरिष्ठ पत्रकार प्रभाष जोशी, आउटलुक हिंदी के संपादक आलोक मेहता, जनता दल (यू) के अध्यक्ष शरद यादव, प्रकांड विद्


पत्रकार बनब...
2007-11-28 10:01:51
ऑर्कुट पर हमर ज्यादातर मित्र... दोस्त पत्रकारिता लाइन में आबय चाहय छथिन्ह. नीक बात छै जतेक लोक अपन दिस सं अयताह अपन इलाका के विकास में ओतेक ज्यादा भागीदार होयताह. मिथिलाक सभ्यता... संस्कृति... परम्परा... लोक कथा के ओतेक आगां बढ़ा पयताह. तं सभ संगि लोकनि सं हमर इहे कहनाय छैनि जे अगर अहां एहि क्षेत्र में कदम बढ़ाबय चाहय छी... सफल होय चाहय छी त एकरा लेल सभसं पहिल आओर खास बात अहां में होबाक चाहि


विज्ञान सं रुझान कम किएक ?
2007-12-10 10:22:05
एकटा पेपर निकलय छै गौड़संस टाइम्स. एहि में एकटा संगी काज करय छथिन्ह प्रीति पाण्डेय. हुनका एकटा परिचर्चा के लेल हमर विचारक जरूरत छलन्हि. विषय छल विज्ञान विषय के प्रति लोकक रुझान किएक घटि रहल छै ? हम जे हुनका अपन विचार देलयन्हि से एहिठाम अहां सभ के सेहो बता रहल छी. हमरा विचारे त आई काल्हि जे जॉब के ट्रेंड छै ओहि में आईटी... बीपीओ... केपीओ... मैनेजमेंट... रिटेल... हेल्थ... फा


काज किछ बढ़ल...
2007-12-05 06:12:48
दिल्ली में मिथिला अकादमी बनयबाक काज आगा बढ़ि रहल अछि. अकादमी जल्द स जल्द बनय एकरा लेल अखिल भारतीय मिथिला संघक पदाधिकारीगण चारि तारीख के दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित सं भेंट कएलथिन्ह. मुख्यमंत्री सं भेंट में 25 नवंबर के दिल्ली में मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह में उठल मुद्दा पर चर्चा कएल गेल. मुख्यमंत्रीजी ई भरोसा देलथिन्ह जे एहि दिशा में जोर शोर सं काज चलि रहल अछि आ अ


केहन स्कूल में हो एडमिशन?
2007-12-12 05:20:40
आई काल्हि दिल्ली नोएडा में बच्चा सभक नाम लिखाबय लेल मारा मारी चलि रहल अछि. गार्जियन सभ परेशान. एकटा नहिं कए-कएटा स्कूल में फॉर्म भरबा रहल छथिन्ह. जोगार बैसा रहल छथिन्ह. केहुना नुनु-बुच्ची के नाम नीक स्कूल में लिखा जाय. एक बेर नाम लिखा गेल... एडमिशन भ गेल त फेर 12वीं तक निश्चिंत. मुदा एकटा बात सोचय वाला ई अछि कि एडमिशन केहन स्कूल में करायल जाय... तरक भड़क वाला में... हाई-फाई में ज


9 से 11 मार्च तक दरभंगा में
2008-03-07 13:21:18
पिछला एक हफ्ता दफ्तर में किछ बेसि व्यस्त रहला कारणे अहां सभ सं गप्प नहिं भ पाएल. भेल कि सहारा समय नेटवर्क के समय चैनल सं पुण्य प्रसून वाजपेयी सहित सात टा लोक के संस्था के हित के खिलाफ काज करय आओर देल गेल जिम्मेदारी के पूरा करय में विफल रहला के कारण बाहर के रास्ता दिखा देल गेल. वाजपेयी जी के संग जिनका सहारा समय


जर्जर झंझारपुर पुल
2008-02-27 10:39:26
झंझारपुर में कमला बलान पर बनल रेल -सड़क पुल के हालत एकदम खस्ता भs गेल छै. एहि ठाम अक्सर कोनो न कोनो दुर्घटना होएते रहैत अछि. एकहिं संग दुनु पुल होय के कारण एहिठाम लोक के सदिखन जाम सेहो मिलैत छै. पुल पर रेल लाइन के दुनु बगल... पटरी के दुनु कात आओर बीच में लकड़ी के पटरा सभ जे कील सं ठोकल छै ओकर कील आब निक


मिथिला इतिहास संस्थान सम्मेलन
2008-02-27 10:15:38
मिथिला इतिहास संस्थानक सम्मेलन 15-16 मार्च के ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय में होएत. एहि लेल विश्वविद्यालय के इतिहास विभाग जोर शोर सं जुटल अछि. मिथिलाक इतिहास अध्ययन पर विशेष जोर देबय के लेल सम्मेलन में प्राचीन... मध्य आओर आधुनिक मिथिला पर केंद्रित आलेख सेहो राखल जाएत. एहि ठाम मिथिला में समाज आओर शिक्ष


बिहार... मिथिला के लेल ट्रेन
2008-02-27 03:07:24
रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव के रेल बजट में बिहार... मिथिला के लेल काफी किछ अछि. एकटा गरीब रथ दिल्ली सं जयनगर के बीच शुरू होएत जे सप्ताह में दु दिन पटना भ क चलत. नयका गाड़ी में अमृतसर-सहरसा जनसाधारण एक्सप्रेस वाया हसनपुर सप्ताह में एक दिन चलत... जयनगर-सहरसा जानकी एक्सप्रेस वाया हसनपुर सप्ताह में तीन दिन चलत... एक


लालू के बजट
2008-02-26 11:38:04
रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव लगातार पाचम साल रेल भाड़ा नहिं बढ़ा कs एकटा रिकॉर्ड बना लेलाह अछि. मुदा रेलभाड़ा नहिं बढयबा के असर दोसर चीज पर नहिं पड़ल अछि. हुनकर रेल बजट में दोसर तोहफा सेहो छनि. भाड़ाबढ़ाबय के त बात छोडु ओ किछ घटा सेहो देलखिन्ह अ. अपन रेल बजट भाषण में ओ मेल , एक्सप्रेस आओरपैसेंजर गाड़ी के लेल 50 र


घेरा डालो डेरा डालो
2008-02-23 08:31:05
अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति मार्च में बजट सत्र के दौरान संसद के घेराव करय जा रहल अई. घेरा डालो डेरा डालो आंदोलन में लोक के जुटाबय के लेल... अलग मिथिला राज्य के लेल समिति के लोक सभ गामे - गामे जा रहल छथिन्ह. समिति के अध्यक्ष बैद्यनाथ चौधरी बैजूजी खुद जोर- शोर दौरा में लागल छथिन्ह. ओ गाम में जाs


समस्तीपुर में आलू प्रसंस्करण उद्योग
2008-02-22 12:27:12
समस्तीपुर में आलू प्रसंस्करण उद्योग लागत. हाले में कोलकाता में पोटैटो एक्सपो भेल रहय ओकर बाद सं समस्तीपुर में आलू आधारित उद्योग लगाबय में कइटा उद्योगपति सभ दिलचस्पी देखलखिन्ह अ. ई बात एहि ठामक किसान के लेल खुशी के बात छै. एहि सं ओ आओर मेहनत करताs आओर हुनका अपन उपज... पैदावार के सही कीमत सेहो मिलतन्हि. खबर छै


दरभंगा-कुशेश्वरस्थान बड़ी लाईन
2008-02-22 12:04:18
दरभंगा सं कुशेश्वरस्थान के बीच जल्दीए बड़ी लाईन बनत. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव पिछला दिन कुशेश्वरस्थान में दरभंगा-कुशेश्वरस्थान बड़ी रेल लाईन के शिलान्यास कएलाह. रेल मंत्री कहलथिन्ह जे कुशेश्वरस्थान के एकटा एहन रेल टर्मिनल बनाबल जाएत जे देश में अपना तरहक होएत... देश में सर्वोत्तम होएत. श्री यादव ईहो


राज ठाकरे बनि गेलाह हीरो
2008-02-13 09:20:02
महाराष्ट्रक राजनीति में राज ठाकरे हीरो बनि गेलाह अ. जमानत मिलला के बाद अदालत सं ओ एकटा नायक... विजेता के तरहे निकलला आओर हाथ लहराबैत अपन समर्थक के धन्यवाद देलाह. घर सं गिरफ्तार भेलाह पर अदालत तs अएला पुलिस के गाड़ी सं मुदा घर गेलाह अपने गाड़ी सं...ओहो खुद चला कs . अदालत आओर घर पर हुनकर समर्थक के भारी भीड़ हुनकर ज


राज ठाकरे के पीठ पर कांग्रेस के हाथ !
2008-02-13 08:39:16
महाराष्ट्र में राज ठाकरे के सेना बेकाबू भS रहल अछि ... आओर अखन तक राज ठाकरे के गिरफ्तारी नहिं भेला सं लोकक मन में ई सवाल घुमड़ि रहल अछि कि कहीं राज ठाकरे के पीठ पर कांग्रेसक हाथ त नहिं अछि. राजनीति में किछुओ संभव अछि. अपन गोटी फिट बैठाबय के लेल कांग्रेस ई खेल खेल सकैत अछि. आखिर कांग्रेस सरकार के कि प्रॉब्लम छै ज


Page 3 of 5 « < 2 3 4 5 > »
eXTReMe Tracker